Thursday, April 5, 2012

रघुनाथ मुखिया- विहनि कथा- ग्रीन हाउसमे कुकूर

ग्रीन हाउसमे कुकूर 

दिसम्बरक अन्त। आइ ४८ डिग्री तापमान होएबाक सम्भावना अछि। कृपया अपन माथपर बरफ लपेटि लेल जाउ। किएक तँ भुस्सामे शीघ्रहि आगि पकड़बाक सम्भावना रहैत छैक। जेना माटिकेँ माटि खाइत अछि, लोहाकेँ लोहा कटैत अछि। माहुरकेँ माहुर, हीराकेँ हीरा आ सोनाकेँ सोना कटैत अछि। तेँ अहाँकेँ कुकूर कटैत अछि।

(साभार विदेह विहनि कथा विशेषांक अंक ६७- www.videha.co.in)

No comments:

Post a Comment