Thursday, April 12, 2012

जाति नै पानि :: जगदीश मण्‍डल


जाति नै पानि

बुद्धदेवक प्रमुख शिष्य आनंद श्रावस्तीमे भिक्षाटन करैत रहथि। गरमी मास तँए रौदो तीख। हुनका पि‍यास लगलनि। लगमे पानिक कोनो जोगार नै देखि‍ किछु आगू बढ़लाह। एकटा युवतीकेँ इनारपर पानि भरैत देखलखिन। पानि देखि‍ मनमे सबूर भेलनि। इनार लग पहुँचि‍ ओइ युवतीकेँ आनंद कहलखिन- दाय, हमरा बड़ जोर पि‍यास लगल अछि कनी पानि पियाउ?”
पानि नै दऽ ओ युवती कहलकनि- साधुबाबा, हम चंडालक बेटी छी हम्मर छूबल पानि केना पीब‍?”
कनीकाल गुम्म रहि आनंद कहलखिन- बुच्ची, हम तोरा तँ जाति नै पुछलिअ। पानि मंगलियह।
पियाससँ तरसैत आनंदकेँ देखि‍ ओइ युवतीकेँ दया लगल। मुदा मनमे विचित्र द्वन्द्व उपकि‍ गेलै। अंतमे ओ पानि भरि आनंदकेँ देलकनि पानि पीब आनंद तृप्त भऽ गेलाह।
महात्मा नारायण स्वामी कहने छथि जे जाति-पाति आ अस्पृश्यताक बंधन हिन्दू जातिक लेल कलंक छी। यएह बंधन सभ जातिकेँ छिन्न-भिन्न केने अछि। एकरे चलैत सभ जातिक बीच घृणा आ द्वेष पसरल अछि।

No comments:

Post a Comment