Thursday, April 12, 2012

आर्दश माए :: जगदीश मण्‍डल


आर्दश माए

आर्मेनियाक सर्वोच्च सेनापति सीरोज ग्रिथक व्यक्तित्व हुनक माइयेक बनाओल छलनि। जखन ग्रिथ बच्चे रहथि तखने पिता मरि गेलखिन। विधवा नार्विन ग्रिड कपड़ा सीबि‍-सीबि‍ गुजरो करथि‍‍ आ बेटोकेँ पढ़बथि‍। गरीब परिवारक ग्रिथ अछि ई बात स्कूलोक शिक्षक सभ जनैत। फीस माफ होइले ग्रिथ आवेदन देलक। फीस माफो भ गेलै। फीस माफक समाचार ग्रिथ माएकेँ कहलक। माए बिगड़ि क बाजलि- हम मेहनति‍ कए कऽ गुजर करै छी, तखन फीस किएक ने देबै। हम मेहनती छी नै कि‍ गरीब। हमर अपन स्वाभिमान कहैत अछि जे गरीब नै छी।
स्वाभिमानी माए अपन बच्चाक एहेन चरित्र बनौलक जे देशक सर्वोच्च सेनापति भेल।

No comments:

Post a Comment