Showing posts with label मिहिर झा. Show all posts
Showing posts with label मिहिर झा. Show all posts

Thursday, April 5, 2012

नक्शा

एक टा मनुख जिग्से पज़्ज़ील मे बहुत देर सों दुनिया के नक्शा जोडबाक प्रयास करैत छल | करीब २ घंटा तक कडाचूर मेहनति के बादो ओकरा बुते दुनिया के नक्शा के जोडल नहि भेलैक | बहुतो ईयाद केलाक बादो ओकरा फल्ला देश फल्ला महाद्वीप मे हेतैक से पता नहि चलि रहल छलैक | ताबत एक टा छौडा ओतय आयल | ओ मनुख के पुछलक जे अहां कथी मे आप्स्यांत भेल छी | मनुख कहलक जे हम ई गत्ता के जोडबाक प्रयास क रहल छी | छौडा ओहि मनुख सों एक बेर प्रयास करबाक अनुमति लेलक आ ५ मिनट मे सब टा टुकड़ा के जोड़ि देलक | मनुख के बड्ड आश्चर्य भेलैक जे एतेक छोट बच्चा कोना दुनिया के नक्शा ५ मिनट मे जोड़ि लेलक | ई प्रश्न ओ छौडा से केलक जे कोना ओ दुनिया के नक्शा ५ मिनट मे जोड़ि लेलक | छौडा कहलक -" हम त मनुख के जोडलहु, दुनिया अपने आप जोड़ा गेल" | ( नक्शा के पाछू मनुख बनल छलैक )

१०० टाका

ओहि सांझ जखन हम ऑफिस से देर राति घर एलहु त हमर बेटा हमरा लग सटि के आएल आ हमर हाथ अपन हाथ मे लय के पुछ्लक "पापा, अहां के एक घंटा के दरमाहा कतेक अछि ?" प्रश्न हमरा कनी अटपटा लागल लेकिन ध्यान देने बिना हम कहि देलियै "१०० रुपय्या" | कनी काल गुम रहलाक बाद आ ओंगरी पर किछु जोडला के बाद ओ हमरा कहलक "पापा, अहां हमरा ३० रुपय्या द सकैत छी ?" ऑफिस से थाकल ठहियाएल आएल छलहु, मोन पिता गेल | ओकरा हम बहुत ज़ोर से बिगडि के भगा देलियै| किछु कालक बाद जखन मोन ठनढाएल त ओकरा लग जा के ३० टाका दैत पुछलियै जे कोन खिलौना किनबाक छौ | ओ कहलक जे एक मिनट रुकु| तकिया तर से ओ किछु मोचरल टाका निकालि गिनय लागल | हमरा ई देखि फेर सृंगचढि गेल जे जखन ओकरा लग टाका छलैक त हमरा से किएक मंगलक | तावत ओकर गिनती ख़तम भ गेलैक आ ओ हमरा १०० टाका दैत कहलक - " पापा, ई लिय अहां अपन एक घंटा के दरमाहा | काल्हि अहां ऑफिस से एक घंटा पहिने आबि जाउ आ हमरा संग गेंद खेलाउ" | हमर मुह फक्के रहि गेल |