Wednesday, April 11, 2012

धैर्य :: जगदीश मण्‍डल


धैर्य

इंग्लैंडक प्रसिद्ध विद्वान टामस कूपर अंग्रेजीक शब्दकोष तैयार करैत रहथि। काजमे कूपर तेना ने लीन भऽ गेल रहथि जे घरक कोनो सुधिये-बुधिये ने रहनि। पत्नीकेँ घरक सरंजाम जुटबैमे परेशानी होन्‍हि‍, तँए ओ पतिपर खूब बिगड़थि। मुदा तकर कोनो असरि कूपरकेँ नै होन्‍हि‍। एक दिन कूपर कतौ गेल रहथि, तइ बीच पत्नी खिसिया कऽ शब्दकोषक सभ काॅपी जरा देलकनि। जखन ओ घुमि‍ कऽ एलाह तँ देखलखिन जे वर्षोक मेहनति‍ जरि गेल। मुदा धैर्य एत्ते प्रवल रहनि जे एक्को मिसिया तामस नै उठलनि। ने एक्कोरत्ती पत्नीपर बिगड़लखिन आ ने अफसोस केलनि। मुस्कुराइत सिर्फ एतबे कहलखिन- आठ बर्खक काज अहाँ आरो बढ़ा देलौं।

No comments:

Post a Comment