Thursday, April 12, 2012

पुष्ट इकाइसँ समर्थ राष्ट बनैत :: जगदीश मण्‍डल


पुष्ट इकाइसँ समर्थ राष्ट बनैत

फ्रान्स हालैंडपर आक्रमण क देलक। फ्रन्स नमहर देशो आ सम्पन्नो। जबकि होलैंड छोटो आ पछुआएलो। मुदा फ्रान्स हालैंडसँ जीत नै पबैत। ई देखि‍, फ्रन्सक राजा लुइ-चैदहम बिगड़ि मंत्री कालवर्टकेँ बजा पुछलखि‍न- हमर देश एत्ते पैघ आ सामरिक सम्पन्न रहितो पछड़ि किअए रहल अछि?”
राजाक बात सुनि कालवर्ट नम्र भ उत्तर देलकनि- महत्ता आ समर्थता। कोनो देशक विस्तार आ वैभवपर निर्भर नै करैत। ओ निर्भर करैए ओइ देशक देश-भक्त आ बहादुर नागरिकपर। जे अपना देशक अपेक्षा हालैंडमे मजगूत अछि।
मंत्रीक बात सुनि राजा अपन सेना आपस बजा लेलक। हालैंडमे बच्चा-बच्चाकेँ राष्ट्रक सशक्त इकाईक रूपमे ढालल जाइत। जइसँ ओ शक्तिशाली बनि ठाढ़ अछि।

No comments:

Post a Comment