Showing posts with label विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला. Show all posts
Showing posts with label विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला. Show all posts

Saturday, July 21, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला भाग-13

मिथिलेश कुमार झा

जन्म---१२-१-१९७०केँ मातृक मनपौर ( मधुबनी )मे,
मूल गाम- जगति ( मधुबनी)
पिता- श्री विश्वनाथ झा, माता स्व. हीरा देवी
प्रकाशित कृति---- टीस ( विहनि कथा संग्रह )

Wednesday, July 18, 2012

विहनि कथाकर परिचय श्रृंखला भाग-12

वैकुंठ झा

जन्म--- चैत 1952

गाम--- सन्नहपुर ( दरभंगा )

प्रकाशित कृति ---- समय-संदर्भ-सोपान ( कविता संग्रह-1996, ) बुझनुक ( विहनि कथा-2001), संपादन नवतुरिया ( कानपुरसँ प्रकाशित पत्रिका )

Tuesday, July 17, 2012

विहनि कथाकर परिचय श्रृंखला भाग-11

श्री राज

जन्म---17/7/1950

गाम-- लोहना, मधुबनी
मूल नाम--- श्री राजेन्द्र झा

शिक्षा---B.A

प्रकाशित कृति--- ऐ अकाबोनमे ( कविता संग्रह )

विशेष---- विहनि कथा शब्दक प्रतिपादन सहयोगी। 50सँ बेसी विहनि कथाक लेखन आ ओहोमेसँ अनेको प्रकाशित।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Monday, July 16, 2012

विहनि कथाकर परिचय श्रृंखला भाग-10

चंडेश्वर खाँ

जन्म---15/2/1957

शिक्षा---B.A

गाम मेहँथ ( मधुबनी )

करीब 100सँ बेसी विहनि कथाक लेखन आ ओहिमेसँ कतेको पत्र-पत्रिकामे प्रकाशित।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Friday, July 13, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृंखला भाग-9

शिव कुमार झा टिल्लु

पिताक नामः स्व. काली कान्त झा ‘‘बूच‘‘, माताक नामः स्व. चन्द्रकला देवी,जन्म तिथिः 11-12-1973,शिक्षाः स्नातक (प्रतिष्ठा),जन्म स्थानः मातृक- मालीपुर मोड़तर, जि. - बेगूसराय, मूलग्रामः ग्राम-पत्रालय - करियन, जिला - समस्तीपुर, पिन: 848101,संप्रतिः प्रबंधक, संग्रहण,जे. एम. ए. स्टोर्स लि.,मेन रोड, बिस्टुपुर जमशेदपुर - 831 001, अन्य गतिविधिः वर्ष 1996 सँ वर्ष 2002 धरि विद्यापति परिषद समस्तीपुरक सांस्कृतिक ,गतिवधि एवं मैथिलीक प्रचार-प्रसार हेतु डॉ. नरेश कुमार विकल आ श्री उदय नारायण चौधरी (राष्ट्रपति पुरस्कार प्राप्त शिक्षक) क नेतृत्वमे संलग्न। प्रकाशित कृति: क्षणप्रभा-कविता-संग्रह, अंशु-समालोचना। ऐ के अतिरिक्त विहनि कथामे प्रयासरत।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Wednesday, July 11, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृंखला भाग-8

राजदेव मंडल

शिक्षा- एम.ए.द्वय, एल एल बी.,पता- ग्राम-मुसहरनियाँ, रतनसारा (निर्मली, मधुबनी)। प्रकाशित कृति- अम्बरा- (कविता संग्रह), हमर टोल (उपन्यास) आ संगे-संग अनेक विहनि कथा एवं आलेख प्रकाशित।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Tuesday, July 10, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृंखला भाग-7

उमेश मंडल

गाम---बेरमा

ई ने मात्र कविता लीखै छथि आ ने मात्र विहनि कथा। जँ हिनक प्रतिभा देखबाक हो तँ मिथिलाक वनस्पति स्लाइड शो , मिथिलाक जीव-जन्तु स्लाइड शो , मिथिलाक जिनगी स्लाइड शो, आदिमे देखू जे की मैथिलीमे पहिल तरहक प्रयोग अछि आ ई एहन प्रयोग अछि जे बहुत कम्मे आदमी कए पबैत छथि।

प्रकाशित कृति: निश्तुकी- कविता संग्रह (2009), मिथिलाक संस्कार गीत, विध-व्यवहार गीत आ गीतनाद (संकलन)

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Saturday, July 7, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृंखला भाग-6

ज्योति सुनीत चौधरी

महिला विहनि कथा लेखनमे अग्रणी भूमिका। विहनि कथाक अतिरिक्त जापानी काव्य विधापर केन्द्रित कार्य

जन्म तिथि -३० दिसम्बर १९७८; जन्म स्थान -बेल्हवार, मधुबनी ; शिक्षा- स्वामी विवेकानन्द मि‌डिल स्कूल़ टिस्को साकची गर्ल्स हाई स्कूल़, मिसेज के एम पी एम इन्टर कालेज़, इन्दिरा गान्धी ओपन यूनिवर्सिटी, आइ सी डबल्यू ए आइ (कॉस्ट एकाउण्टेन्सी); निवास स्थान- लन्दन, यू.के.; पिता- श्री शुभंकर झा, ज़मशेदपुर; माता- श्रीमती सुधा झा, शिवीपट्टी। ज्योतिकेँwww.poetry.comसँ संपादकक चॉयस अवार्ड (अंग्रेजी पद्यक हेतु) भेटल छन्हि। हुनकर अंग्रेजी पद्य किछु दिन धरि www.poetrysoup.com केर मुख्य पृष्ठ पर सेहो रहल अछि। ज्योति मिथिला चित्रकलामे सेहो पारंगत छथि आ हिनकर मिथिला चित्रकलाक प्रदर्शनी ईलिंग आर्ट ग्रुप केर अंतर्गत ईलिंग ब्रॊडवे, लंडनमे प्रदर्शित कएल गेल अछि। कविता संग्रह ’अर्चिस्’ प्रकाशित।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Saturday, June 30, 2012

विहनि कथाकर परिचय श्रृंखला भाग-5

जगदीश प्रसाद मंडल 1947

मैथिलीमे पहिल बाल प्रेरक विहनि कथा संग्रह " तरेगन " केर लेखक। साल 2011मे हिनका " गामक जिनगी " पर विदेह सम्मान ( जे की समानांतर साहित्य अकादेमी सम्मानसँ प्रचलित अछि ) भेटलन्हि। फेर साल 2012मे एही पोथीपर बर्ख 2011 लेल टैगोर साहित्य सम्मान भेटलन्हि। साल 2012 लेल हिनक पोथी " तरेगन "केँ बाल साहित्य लेल विदेह सम्मान ( जे की समानांतर साहित्य अकादेमी सम्मानसँ प्रचलित अछि ) चूनल गेलन्हि।

जँ इतिहासकेँ सम्यक रूपें लिखल जाए तँ मणिपद्म जीक बाद जगदीश जी उपन्यास सम्राट हेबाक अधिकारी छथि।

गाम-बेरमा, तमुरिया, जिला-मधुबनी। एम.ए.।कथाकार (गामक जिनगी-कथा संग्रह आ तरेगण- बाल-प्रेरक लघुकथा संग्रह), नाटककार(मिथिलाक बेटी-नाटक), उपन्यासकार(मौलाइल गाछक फूल, जीवन संघर्ष, जीवन मरण, उत्थान-पतन, जिनगीक जीत- उपन्यास)। मार्क्सवादक गहन अध्ययन। हिनकर कथामे गामक लोकक जिजीविषाक वर्णन आ नव दृष्टिकोण दृष्टिगोचर होइत अछि।

ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Friday, June 29, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला भाग-4

प्रदीप बिहारी

जन्म--- 5/3/1963

जन्म स्थान कन्हौली मल्लिक टोल, खजौली, मधुबनी, बिहार। चर्चित कथाकार, उपन्यासकार ओ रंगकर्मी । प्रकाशित कृति: गुमकी ओ बिहाड़ि, विसूवियस (उपन्यास), औतीह कमला जयतीह कमला, खण्ड-खण्ड जिनगी, सरोकार (कथा संग्रह)। २००७- प्रदीप बिहारी (सरोकार, कथा)मैथिली लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

पहिने भ्रमवश आ नकल वश किछु कथाकार विहनि कथाकेँ " लघुकथा " कहैत छलाह। मुदा आब ई प्रथा खत्म भए गेल। 1995मे श्री मुन्ना जी द्वारा " विहनि कथा " मने seed story केर स्थापना भेल| हालेमे साहि्त्य अकादेमी द्वारा विहनि कथा आ ओकर अंग्रेजी नाम " seed story "अनुमोदित कएल गेल छै आ एकर विवरण अकादेमी द्वारा जारी जगदीश प्रसाद मंडल जीक परिचय ( जे की टैगोर साहित्य सम्मानक अवसर पर देल गेल छै )मे छै। आ ई हमरा हिसाबें बिल्कुल सटीक आ अर्थवान नाम छै।...

ऐ परिचय श्रृखंला केर उपयोगिता ई अछि जे विहनि कथा लेल किछु आदमी पी.एच.डी कए रहल छथि मुदा ओ मेहनति नै करए चाहैत छथि तँए हुनका सुविधा लेल ई परिचय जे ओ खाली ऐठामसँ कापी-पेस्ट कए लेथि। ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Thursday, June 28, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला भाग-3

तारानन्द वियोगी

जन्म---12/5/1966

शिलालेख (लघुकथा संग्रह),

महिषी, सहरसामे जन्म। पहिल पोथी अपन युद्धक साक्ष्य (गजल संग्रह) १९९१ मे प्रकाशित। अन्य पुस्तक हस्तक्षेप (कविता-संग्रह), अतिक्रमण (कथा-संग्रह), कर्मधारय( आलोचना )। राजकमल चौधरीक कथाकृति एकटा चंपाकली एकटा विषधर संकलन-स‍पादन। साहित्य अकादेमी मैथिली बाल साहित्य पुरस्कार २०१०-तारानन्द वियोगीकेँ पोथी "ई भेटल तँ की भेटल" लेल। यात्री-चेतना पुरस्कार २०१० ई.मे सेहो प्राप्त भेलन्हि।

" हालचाल " आ " संकल्प " नामक दूटा पत्रिकाक किछु अंकक संपादन।

पहिने भ्रमवश आ नकल वश किछु कथाकार विहनि कथाकेँ " लघुकथा " कहैत छलाह। मुदा आब ई प्रथा खत्म भए गेल। 1995मे श्री मुन्ना जी द्वारा " विहनि कथा " मने seed story केर स्थापना भेल| हालेमे साहि्त्य अकादेमी द्वारा विहनि कथा आ ओकर अंग्रेजी नाम " seed story "अनुमोदित कएल गेल छै आ एकर विवरण अकादेमी द्वारा जारी जगदीश प्रसाद मंडल जीक परिचय ( जे की टैगोर साहित्य सम्मानक अवसर पर देल गेल छै )मे छै। आ ई हमरा हिसाबें बिल्कुल सटीक आ अर्थवान नाम छै।...

ऐ परिचय श्रृखंला केर उपयोगिता ई अछि जे विहनि कथा लेल किछु आदमी पी.एच.डी कए रहल छथि मुदा ओ मेहनति नै करए चाहैत छथि तँए हुनका सुविधा लेल ई परिचय जे ओ खाली ऐठामसँ कापी-पेस्ट कए लेथि। ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Wednesday, June 27, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला भाग-2

अमरनाथ

जन्म-15/11/1956

गाम--शुभंकरपुर ड्यौढ़ी ( दरभंगा)

बर्ख 1975मे हिनक विहनि कथा संग्रह " क्षणिका " प्रकाशित भेल। हिनक आन पोथी " कबकब " आ अन्य सभ अछि।

पहिने भ्रमवश आ नकल वश किछु कथाकार विहनि कथाकेँ " लघुकथा " कहैत छलाह। मुदा आब ई प्रथा खत्म भए गेल। 1995मे श्री मुन्ना जी द्वारा " विहनि कथा " मने seed story केर स्थापना भेल| हालेमे साहि्त्य अकादेमी द्वारा विहनि कथा आ ओकर अंग्रेजी नाम " seed story "अनुमोदित कएल गेल छै आ एकर विवरण अकादेमी द्वारा जारी जगदीश प्रसाद मंडल जीक परिचय ( जे की टैगोर साहित्य सम्मानक अवसर पर देल गेल छै )मे छै। आ ई हमरा हिसाबें बिल्कुल सटीक आ अर्थवान नाम छै।...

ऐ परिचय श्रृखंला केर उपयोगिता ई अछि जे विहनि कथा लेल किछु आदमी पी.एच.डी कए रहल छथि मुदा ओ मेहनति नै करए चाहैत छथि तँए हुनका सुविधा लेल ई परिचय जे ओ खाली ऐठामसँ कापी-पेस्ट कए लेथि। ई परिचय मुन्ना जीक सहयोगसँ बनल अछि।...

Monday, June 25, 2012

विहनि कथाकार परिचय श्रृखंला भाग-1

हंसराज

मूल नाम-मंत्रनाथ झा

जन्म----28/10/1938
गाम--- उजान ( दरभंगा)

हिनक मृत्यु 2005मे भेलन्हि।..

18/11/1972मे प्रकाशित हिनक पोथी " जे किने से " एखन धरिक साक्ष्यक आधार पर मैथिलीक पहिल विहनि कथा संग्रह मानल जाइत अछि। ऐमे कुल 35टा विहनि कथा अछि आ ई पोथी मैथिली साहित्य संस्थान, पटनासँ प्रकाशित अछि। विहनि कथाक अतिरिक्त हंसराज जीक कविता सेहो लिखला आ हिनक " गंध " कविता कालजयी कविता थिक।

आन पोथी सभ---- ओ जे कहलन्हि ( साक्षात्कार ), संधान, अनेरे ( कविता ), शतंजा ( कथा)