Monday, November 21, 2016

कनमन

कनमन

साढ़े चारि‍ बजैत। हाइ स्‍कूलसँ अबि‍ते सुधीरक नजैर दरबज्‍जापर बैसल बाबा–श्‍याम सुन्‍दर–पर पड़लैन‍। बाबाक खसल मन देख दरबज्‍जा-अँगनाक बीच मोड़पर सुधीर तेकठी जकाँ ठाढ़ भेल। केमहर डेग बढ़ौत से फरि‍छेबे ने करइ। पहिने बाबाकेँ पुछिऐन जे किए मन खसल अछि‍, आकि‍ कि‍ताब रखि‍ कपड़ा बदैल आबी। रस्‍तेसँ भूखो-पि‍यास लगल अछि‍। नबे बजेक खेलहा छी...।
तेकठीक तीनू खुट्टाक बीच अपनाकेँ सुधीर पौलक जे दूटाक कनाइत तेकठी नाओं धरबैए‍ जखन कि‍ तेसरक नाओं गोड़ी भऽ जाइ छै, जेकरा ऊपर लाद लादि‍ लदाना दइ छइ। बाबाक बात बुझब सभसँ जरूरी अछि‍, मुदा बरदाएल हाथे कइए की सकबैन..?
कपड़ा बदलब ओते महत नै रखैए‍ तँए एना करी जे बाबाकेँ कहिऐन‍- हमहूँ आबि‍ गेलौं जइसँ जाबे ओ अपन बात बजता-बजता ताबे पोथी रखि आएब। कनी डेगेमे झाड़ आनए पड़त...।
सहए करैत बाजल-
बाबा, किए मन खसल अछि‍?”
कहि‍ पोथी रखए आँगन गेल। पोथी रखि श्‍याम सुन्‍दरक लग आबि‍ सुधीर बाजल-
बाबा, मन खसैक कारण की अछि‍?”
आस-नि‍आसक बीच श्‍याम सुन्‍दर ओझड़ाएल छला, तँए नजैर खसल छेलैन‍। पोताक प्रश्‍न भारी पबै छला। चालीस बर्खक संगी हेरा-फेरीमे जहल चलि‍ गेल छेलैन‍‍, तेकरे सोग रहैन। मुदा बाल-बोध लग बाजी वा नै बाजी? छि‍पाएब झूठ हएत नै छि‍पाएब सेहो तँ नीक नहि‍येँ हएत। नीकक चर्च हेबाक चाही, अधलाक तँ फलो अधले हएत...।
सोचैत-विचारैत श्‍याम सुन्‍दरक मनमे उठलैन- एहनो तँ भऽ सकैए जे छि‍पबैत-छि‍पबैत छि‍नारक छिनरपनीए छीप जाए! मुदा एहनो तँ भऽ सकैए जे एक-दोसराक अधला छि‍पबैत-छि‍पबैत छिपारेक समाज बनि‍ जाए! ..तत्-मत् करैत श्‍याम सुन्‍दर बजला-
बौआ, अखने सुनलौं जे रूपलाल जहल चलि‍ गेल। मि‍रचाइक झाँझ जकाँ वएह मनकेँ मलीन केने अछि‍।
श्‍याम सुन्‍दर जे कहि‍ अपनाकेँ हटबए चाहैथ‍ से लगले नइ हटलैन‍। कारण भेल जे जहलक नाओं सुनि‍ सुधीर दोहरा देलकैन‍-
किए रूपलाल बाबा जहल गेला?”
सुधीरक प्रश्‍न श्‍याम सुन्‍दरकेँ ज्‍वर आनि‍ देलकैन‍ मुदा ज्‍वार नै बनि‍ तुरछैत ज्‍वारि‍ तँ आबि‍ए गेल रहैन‍। बुझबैत कहलखिन-
एते पुरान रहि‍तो रूपलाल समैकेँ ठेकानबे ने केलक। पुरना चालि‍सँ आब काज चलैबला छै! बुझथुन जे केहेन दादासँ पल्‍ला पड़ल। m
शब्‍द संख्‍या- 323

आने जकाँ

आने जकाँ

हलसल-फूलसल पत्नी बजली-
आइ धरि‍ अहाँ कहि‍यो मोनसँ नै चाहलौं। सभ दि‍न बि‍गड़ले रहै छी!”
पत्नीक बात सुनि‍ क्षुब्‍ध भऽ गेलौं जे एहेन बात किए कहलैन‍? निच्‍चाँ-ऊपर देख‍ पुछलयैन-
अहाँ केते चाहै छी?”
कहलैन‍-
जहि‍ना सभकेँ देखै छि‍ऐ।
कहलयैन‍-  
आने जकाँ हमहूँ भऽ जाइ तखन ने?”m

शब्‍द संख्‍या- 46

उड़हैड़

उड़हैड़
एक तँ ओहि‍ना जुड़शीतलक भोर, चारि‍ए बजेसँ इनार चन्‍द्रकूप बनि‍ अकास-पताल एक केने, सि‍रसि‍राइत वसन्‍त सि‍र सजबै पाछू बेहाल, जे जेतइ से तेतइसँ पीह-पाह करैत, तैपर तीन दि‍नसँ एकटा नवका गप सेहो गाममे सेहो उपैक‍ गेल अछि। ओ ई जे कपरचनमा उड़हैड़‍ गेल! कपरचना उड़हैड़ गेल..!
ओना ऊपरका जहाज जकाँ स्‍त्रीगणक बीच गप हवाइ भेल मुदा पुरुखक बीच कोनो सुनि‍-गुनि‍ नहि। तँए कपरचनमाक पि‍ता–रघुनाथले धैनसन। माए कुड़बुड़ाइत रहइ, मुदा सासुक डरे मुँह नै खोलैत। ओना, परगामी भेने माइयो आ पत्नियोँक मन ओते घबाह नइ होइत। होइत तँ ओतए अछि जेतए सीमानक आड़ि‍ धारक बाढ़ि‍मे भँसिया जाइए। कपरचनमाक दादी–कुसुमा दादी–क मनमे मि‍सियो भरि‍ हलचल नहि। कोनो कि‍ बेटी जाति‍ छी जे अबलट लागत। बेटा धन छी जेतए रहत ओतए खुट्टा गाड़ि‍ कऽ रहत। कि‍यो बजैए तँ अपन मुँह दुइर करैए।
जुड़शीतल पाबैन‍, अपने हाथे कुसमा दादी इनारसँ पानि‍ भरि असीरवाद बँटबे करती। तहूमे तेहेन गप परि‍वारक उड़ल छैन‍‍ जे बाँटबो‍ जरूरीए छैन। ओना दादी अन्‍हरगरे उठली‍, मुदा पहरक ठेकान नै रहलैन‍। जखन गाममे पीह-पाह शुरू भेल तखनए फुरफुरा कऽ उठि‍ लोटा-डोल नेने इनार दि‍स बढ़ली। मनमे ईहो रहैन‍‍ जे इनार परहक असीरवाद अँगनाक अपेक्षा बेसी नीक होइ छइ। तँए सभसँ पहि‍ने इनारपर पहुँचब जरूरी बुझलैन‍। आब कि‍ कुशक जौर आकि घट थोड़े रहल, मुदा तैयो...।
इनारसँ डोल ऊपरो ने भेल छेलैन‍ कि‍ नवनगरवाली अबि‍ते देखलैन‍ जे दादी असगरे छैथ तँए अवसरक लाभ उठा ली, नइ तँ पचताइये कऽ की हएत...। उपरागी जकाँ नवनगरवाली पुछलखिन-
उढ़ड़ा एलैन‍ कि नहि?”
नवनगरवालीक बोल कुसमा दादीकेँ मि‍सियो भरि‍ नै कबकबौलकैन‍। मनमे नचैत रहैन‍‍ जे एके पीढ़ी ऊपरक लोकक ने संकोच करैए, हम तँ दू पीढ़ी छि‍ऐ। बाल-बोधक उकठपनो गपक जवाब उकठपने जकाँ दिऐ से केहेन हएत! नवनगरवालीक आँखि‍मे आँखि‍ चढ़बैत दादी बजली-
कनि‍याँ, अहाँ कहुना भेलौं तँ पोते-पोती भेलौं। कि‍छु छी कपरचना तँ बेटा धन छी। जँ केकरो लैयो कऽ चलि‍ गेल हेतै तँ सोचि‍ नेने हेतै जे ठाठसँ जि‍नगी केना बि‍ताएब। जेतए रहत जगरनथिया खन्‍ती गाड़ि देत।
भादवक बर्खा जकाँ कुसुमा दादीक मुँह बरिसैत रहैन‍। इनारक कि‍नछैड़मे कनबाहि‍ भेल दुलारपुरवाली सेहो दादीक सभ बात सुनि‍ नेने रहैथ‍। मन भि‍न-भि‍ना गेल रहैन‍। तैपर जुड़शीतलक उखमजक जे टटका-बसियाक भि‍रंत छि‍हे। टटका नीक आकि‍ बसिया? बसिया नीक आकि‍ तेबसिया? तेबसिया नीक आकि‍ अमवसिया? मुदा टटके नवनगरवालीक पक्ष लैत दुलारपुरवाली दादीक सोझ आबि बजली-
सभटा कएल हि‍नके छिऐन। दुनि‍याँमे नाओंक अकाल पड़ि‍ गेल छेलै जे कपरचनमा नाओं रखलखि‍न?”
सतैहिया बर्खाकेँ छुटैक आशामे थोड़े छोड़ल जा सकैए। बीचोमे जोगारक जरूरत ऐछे। जँ से नइ तँ बि‍ल-बाल होइत केमहर-केमहर बहि‍‍ जाएत से थोड़े बुझि‍ पेबइ। कुसमा दादी दुलारपुरवालीकेँ कहए लगलखि‍न-
तों सभ फुलक नाओंकेँ बेसी पसि‍न करै छहक, मुदा तोंही कहह जे जेते अपना गाममे फूल अछि‍ ओकर मूल्‍य कि‍ हेबाक चाही। मुदा देखै कि‍ छहक। पोताक नाओं कोनो अधला रखने छी जेहेन चालि‍-ढालि‍ देखलि‍ऐ तेहेन नाउओं रखि‍ देलि‍ऐ।
दादीक उतारा सुनि‍ नवनगरवाली मुँह चमकबैत बजली‍-
दादी, अबेर भेल जाइ छइ। एक चुरूक असीरवाद देती तँ दोथु नइ तँ अपन राखथु।
अगुआएल काजकेँ पछुआइत देख‍ दादी डोल नेनहि‍ नवनगरवालीकेँ कहलखि‍न-
मन तँ होइए जे सौंसे डोल उझैल‍ दि‍अ मुदा अखन काजक बेर अछि‍, जा तोहूँ घर-अँगना देखहक।m
शब्‍द संख्‍या- 504

मेकचो

मेकचो

पछुआ पकड़ैत मिथि‍लांचलक कि‍सानकेँ अपनो दोख ओतबे छैन‍‍ जेते सरकारक। कि‍एक तँ ओहो अपनाकेँ जनतंत्रक कि‍सान नइ बुझि‍ पेलैन‍।
पाँच बीघा जोतक कि‍सान चुल्हाइ। आठम दसकमे गहुमक खेतीक संग सरकारी खादक अनुदान आएल। बीघा भरि‍ गहुमक खेती चुल्हाइ करत। एक बोरा यूरि‍या आ एक बोरा ग्रोमर खादक पूजी लगबैक वि‍चार केलक। ओना समुचि‍त खादो आ पौष्‍टि‍क तत्वो खेतमे देब जुरब परहक फुरब भेल।
ब्‍लौकक माध्‍यमसँ खाद भेटै छइ। पाँच दि‍न बरदा चुल्हाइ भी.एल.डब्‍ल्‍यू.सँ फर्म भरौलक। तीन दि‍नक पछाइत‍‍ कर्मचारियो लि‍खि‍ देलखि‍न। दू दि‍नक पछाइत‍‍ बी.ओ. साहैबक लिखला पछाइत‍‍ फर्म ब्‍लौक-ऑफि‍स पहुँचत जे आठम दि‍न भेटतै।
फार्म जमा केला पछाइत‍‍ घरपर आबि‍ चुल्हाइ चपचपाइत‍ पत्नी लग बाजल-
ऐबेर अपन गहुमक खेती नीक हएत!”
पति‍क चपचपीमे चपचपा रूसनी चपि-चपि गैंचियाइत नजैर दैत बजली-
फगुआमे नवके पुड़ी खाएब।
तीस दि‍सम्‍बरकेँ चुल्हाइ गहुम बागु केलक। पच्‍चीस कि‍लो कट्ठा उपज भेल।  
टुटैत उपजासँ टुटल चुल्हाइक मन पत्नीकेँ कहलक-
ऐ बेरसँ नीक पौरुके भेल। चालीस कि‍लो कट्ठा भेल रहए।
रूसनी बजली-  
एना किए भेल?”
चुल्हाइ बाजल-
तेहेन चमरछोंछमे पड़ि‍ गेलौं जे मेकचो-पर-मेकचो लगैत गेल। जइसँ बागु करैमे डेढ़ मास पछुआ गेलौं! उपजा टुटि गेल!
पति‍क घाउपर मलहम लगबैत रूसनी बजली-
खेती जुआ छि‍ऐ। हारि‍-जीत चलि‍ते रहै छइ। तइले की हाथ-पएर मारि‍ बैस जाएब।
बि‍सवास भरल पत्नीक बात सुनि‍ संकल्‍पि‍त होइत चुल्हाइ बाजल-
आब एहेन फेरि‍मे नै पड़ब।m

शब्‍द संख्‍या- 216

झूटका विदाइ

झूटका वि‍दाइ

जहि‍ना हारल नटुआकेँ झूटका वि‍दाइ होइ छै तहि‍ना ने हमरो भेल! मनमे अबि‍ते प्रोफेसर रतनक चि‍न्‍तन धार ठमैक गेलैन‍।
पि‍ताक श्राद्ध-कर्म समपन्न भेलाक तेसरा दि‍न प्रोफेसर रतन दरबज्‍जाक कुर्सीपर ओंगैठ‍ कऽ बैस मने-मन बीतल काजक समीक्षा करै छला। जहि‍ना नख-सि‍खक वर्णन होइत तहि‍ना ने सि‍ख-नखक सेहो होइए। मुदा काजक समीक्षा तँ मशीन सदृश होइए, जे पार्ट पाछू लगौल जाइए आ खोलैकाल पहि‍ने खुलैए‍।
प्रोफेसर रतन छगुन्‍तामे पड़ल छैथ जे समए केतए-सँ-केतए ससैर गेल आ...। आब‍ की थारी-लोटा आ कपड़ा-लत्ताक घटबी ओइ तरहेँ अछि‍ जेना पहि‍ने छल? कहू, ई केहेन भेल जे एते रूपैआ लोटा पाछू गमा देलौं! जँ समाजक बात नै मानितौं तँ दोखी होइतो, मानलौं तँ की मानलौं! लोटाक चर्च हुनका सभकेँ नै करक चाहि‍ऐन‍। तहूमे तेना लाबा-फरही करए लगला जे इस्‍टिलि‍या केना देबै, लोहा छी अशुद्ध होइए। नियमत: फूल, पि‍तैर‍ वा ताम हेबाक चाही! चानी-सोना तँ राजा-रजबारक भेल। ..वि‍चार अनि‍वार्य भऽ गेल। फेर एहेन प्रश्‍न किए उठल जे घरही नै दऽ बच्‍चासँ बुढ़ धरि‍ जे पंच औता सभकेँ होइन। सियानोक पनि‍पीबा वएह हएत जे धि‍या-पुताक।‍ तखन तँ लोटासँ लोटकी धरि‍क ओरि‍यान करू। तहूमे तेहेन अनरनेवा गाछ जकाँ भरि‍गर गाछ ठाढ़ कऽ देलैन‍‍ जे हाइ स्‍कूलक शिक्षक–गंगाधर–लोटाक संग धोतियो बँटलैन‍। तैठाम एको अलंग नै करितैथ, से केहेन होइतैन।
बजारसँ घुमला पछाइत‍ जहि‍ना नीक वस्‍तु देखलापर‍ मनमे उमकी उठैत, आ अधला देखलापर डुबकी लि‍अ पड़ैत, सएह ने भेल...।
प्रोफेसर रतनक मन कोसी-कमलाक एकबट्ट भेल पानि‍ जकाँ घोर-मट्ठा भऽ गेलैन‍। चि‍लहोरि‍ जकाँ झपटैत पत्नीकेँ कहलखि‍न-
मन बि‍साइन-बि‍साइन भेल जाइए आ अहाकेँ एक कप चाहो ने जुड़ैए?”
पति‍क आदेश सुनि‍ सुजीता चाहक ओरि‍यान केलैन‍।
चाह दैत सुजीता, पजरामे बैस जट-जटीन जकाँ पुछलखि‍न-
की भेल जे एना मन वि‍धुआएल अछि‍?”
ओना चाहक चुस्‍कीसँ रतनक बि‍सबि‍सी थोड़े कमलैन‍ जरूर, मुदा नि‍ड़कटोवैल‍ भऽ कऽ छुटल नै छेलैन‍। ओही झोंकमे झोंकि‍ देलखि‍न-
हएत कथी झूटका वि‍दाइ भेल!”
पति‍क बात सुजीता नै बुझि‍ सकली। बुझि‍यो केना सकि‍तैथ‍। मुदा रोड़ाएल दालि‍क सुगन्‍ध जकाँ अनुमानए लगली। मनमे जे कुवाथ भेल छैन‍‍‍ से जाबे खोलता नइ, ताबे केना बुझब? जँ कोनो तेहेन बात रहि‍तैन‍ तँ एना साँप जकाँ गैंचि‍या-गैंचि‍या किए चलि‍तैथ‍! बजली-
कनी-काल अराम करू, हमरो हाथ काजेमे बाझल अछि, ओकरा सम्‍हारि‍ लइ छी।m
शब्‍द संख्‍या- 359

मुँहक खतियान

मुँहक खतियान

ऐबेर दुर्गापूजाक नव उत्‍साह अछि‍। उत्‍साहो उचि‍ते, हाले-सालमे मलेमासक वि‍दाइ भेल अछि‍‍। एक दि‍न माघ बितने तँ आशा फुरफुराइत पाँखि‍ झाड़ए लगैए‍, भलेँ पच्‍चीस दि‍नक टप-टप पाला खसैत शीतलहरी आगू किए ने हुअए। मुदा से नहि, कहि‍यो नावपर गाड़ी चढ़ैए तँ कहि‍यो गाड़ीपर नाव। तहूमे दुनूक बीच, एहेन रंग-रूपक मि‍लानी रहै छै जे दुनू दुनूकेँ पीठेपर उठबैए आ पेटेमे रखैए। से ऐबेर थोड़े हएत, तेते ने लोक रौदियाएल अछि‍ जे महारेपर सँ कुदि-कुदि‍ उमकत...।
औझुका दि‍न भगवतीक माटि‍ लेल जाएत। भोजक पाते देख‍ धि‍या-पुता चपचपाए लगैत जे खूब खेबैन। आखि‍र भोज होइते किए छइ। चारि‍ बजे भोरेसँ पीह-पाह शुरू भऽ गेल। ओना रघुनी भायकेँ बुझल रहैन‍‍ मुदा तैयो पीह-पाह नीक नै लगैत रहैन‍। कारण रहइ जे दि‍नक फल भोजन बुझि‍ क्रमि‍क काजक क्रि‍या बुझै छैथ। जाबे चौकक हवा-पानि पीबए जइतैथ, तइसँ पहिनहि चाहक चुल्हि‍ पजरल देखलैन‍।
अपन मनकमना पुरबैत तेतरा दस कप चाहक भोज केलक। भोजक सत्तैर‍‍मे भोजैत अपन बात बजि‍ते अछि, तेतरो बाजल-
भाय, ट्रेन्‍ड डरेबर भऽ गेलि‍यौ, भगवतीक दयासँ आब कोनो दुख-तकलीफ परि‍वारकेँ नै हएत।
दोकानक दोसर ब्रेंचपर पोखरिया, असामी आ रामेसर सेहो बैसल छल। तेतराक बात जेना रामेसरक छातीमे छेदि‍ केलकै तहि‍ना रामेसरकेँ झोंक चढ़ि गेलइ। बाजल-
बाप जे मरूआ लेलकै से तँ अखन तक सठाएले ने भेलइ। आ..!”
रामेसरक बात सुनि‍ते तेतरा लोढ़ियौलक। मुदा कएल की‍ जाए? दुनूकेँ थोम-थाम लगबैत रघुनी भाय कहलखि‍न-
दू घन्‍टा लोककेँ बातो बुझैमे लगतैन‍ तँए दू घन्‍टा दुनू गोरे अपन-अपन घरपर जाउ।
घर दिस रामेसर बढ़ैत बाजल-
बाढ़ि‍मे घर खसि‍ पड़ल, नइ तँ अखने बोही आनि‍ कऽ पंचक बीचमे फेक‍ दैति‍ऐ।
घरमुहाँ होइत तेतरा बाजल-
की बुझि पड़ै छै जे बबेबला सनकी अछि‍, झाड़ि‍ देबइ। जँ ओकर बाँकीए छै तँ मनुख जकाँ फुटमे कहैत।m

शब्‍द संख्‍या- 278

हूसि‍ गेल

हूसि‍ गेल

भोज खा बाबा अबि‍ते रहैथ‍ कि पोता–रमचेलबा–मन पड़लैन। तखने देखलैन‍ जे तीमन-तरकारीक मोटरी माथपर नेने दच्‍छिनसँ अबैए‍। रमचेलबाकेँ देखते बाबाक मन सहैम‍ गेलैन‍ जे सभ दि‍न पोताकेँ संग नेने जाइ छेलौं, आ...। लगले मनमे एलैन‍ जे जे पूत हरवाहि करए गेल देव-पि‍तर सभसँ गेल...। तैबीच हाथमे लोटा देख रमचेलबा लग आबि पुछि देलकैन-
केतए गेल छेलह बाबा हौ?”
बाबा अवाक भऽ गेला।मनमे उठलैन- आब तँ यएह सभ ने करत, तँए अनुकूल बना राखब जरूरी अछि। निधोख होइत बाबा बजला-
बौआ, तूँ हाटपर गेलह आ एमहर बिझो भऽ गेलै तँ की‍ करि‍तौं?”  
जहि‍ना नि‍धोख बाबा बजला तहि‍ना रमचेलबा पुछलकैन-
बनलह कि‍ने?”
बाबाकेँ मन पड़ि‍ गेलैन‍ पूर्वांचलक मणिपुरी भोज; जइमे जे वस्‍तु जेते नीक रहै छै ओ ओते पहि‍ने परोसि खुऔल जाइए। मुदा अपना ऐठाम तँ अन्नकेँ अन्न बुझनि‍हार आगूमे आएल पहि‍ल अन्नक पूजा करत...। बाबा बजला-
बौआ, नीक भेलौ जे तों नइ गेलेँ।
अपन बात सुनि‍ रमचेलबा पुछलकैन-
से की हौ?”
अनुकूल होइत रमचेलबाकेँ देख बाबा कहलखिन-
धुर! हूसा गेल।
अकचकाइत रमचेलबा पुछि देलकैन-
से की हौ?”
की कहबौ, भात-दालि‍ बड़ पवि‍त्र बनल छेलै, तैपर अल्‍लू-परोरक तरकारी तेहेन बनल छेलै जे देखि‍ए कऽ मन हलैस‍ गेल। खूब खेलौं। तेकर पछाइत‍‍ जे नीक-नीक वि‍न्‍यास सभ आबए लगलै, ओकरा दि‍स केना तकितौं!”
तब तँ खूब बनलह?”  
अपूछ भऽ गेल!”m


शब्‍द संख्‍या- 204

सरही सौबजा

सरही सौबजा


दि‍न भरि‍ सात गोरेक संग झंझारपुरि‍या वेपारी आम तोड़ि काँच-पाकल आ फुटल बेरा, टौकड़ी बना, ट्रकक प्रतिक्षामे टहलैत गामक चाहक दोकानपर आबि‍ अनेरे बजैत-
एहेन ठकान जि‍नगीमे नइ ठकाएल छेलौं, जेहेन आइ ठकेलौं!”
चाहे दोकानक छर्ड़ा बुझि‍ आनो-आन छर्ड़ा छोड़लक-
झंझरपुरि‍या तँ इलाकाकेँ ठकैए आ ओकरा ठकि‍ लेत हमर गौंआँ?”
वेपारियोकेँ मनमे कि‍छु रहै तँए पाछू हटैले तैयार नहि। बत-कटौवैल‍ एहेन चलि‍ गेल जे ने एकोटा ऐ गामक नीक अछि‍ आ ने झंझरपुरि‍या। बोलीक मारि‍ तँ धुड़-झाड़ होइत, मुदा आगू बढ़ैक साहस कि‍यो ने करए। एकटा गामक प्रति‍ष्‍ठा बुझि‍ तँ दोसर घोड़नक कटान बुझि।
ओना चौकक रोहानी ठीक छेलै कि‍एक तँ सूर्यास्‍तक समए छल। चौकक रोहानी देखते जटा भाय चाहे दोकानपर बैसला। समाजि‍क प्रश्‍न, तँए हस्‍तक्षेप कएल जा सकैए। जटा भाय पुछलखिन-
कथीक घोंघौज छी?”
झंझारपुरबला वेपारी कहलकैन-
अहीं गाममे लखनजी सँ पाँच हजारमे सौबजा आमक एकटा गाछ नेने छेलौं तइमे ठकि‍ लेलैन‍।
अपन चर्च सुनि‍ लखनजी सेहो मोबाइलि‍क दोकानपर सँ चाहक दोकानक आगूमे आबि‍ ठाढ़ भेला। वेपारीक प्रश्‍न उठि‍ते लखनजी पुछलखि‍न-
की ठकि‍ लेलौं, बाजू।
वेपारी कहलकैन-
कलमी बुझि‍ नेने छेलौं, सरही दऽ ठकि‍ लेलौं!”  
तैपर लखनजी पुछलखिन-
केतेमे नेने छेलौं आ आम केतेक भेल?”
से तँ नफगर अछि‍, पाँच हजारमे नेने छेलौं। खर्च-बर्च काटि‍ कहुना पाँच हजार बँचबे करत?”
जटा भाय पुछलखिन-
तखन जे एना बजै छी से उचि‍त भेल?”
वेपारी कहलकैन-
हमर बात दोसर अछि‍। सौबजा कलमी होइ छइ। हि‍नकर अँठियाहा छिऐन, माने सरही छिऐन। ओना साइजोमे ठीक छैन।
जटा भाय-
अहाँ केना बुझै छी जे मुँह-नाक एक रहि‍तो सरही छी?”
वेपारी कहलकैन-
चचाजी, अहूँ भासि‍ जाइ छी। कहुना भेलौं तँ वेपारी भेलौं कि‍ने। कुमारि‍-बियौहतीक भाँज जँ नै बुझबै तँ घटकैती कएल हएत?m
शब्‍द संख्‍या- 269

दुधबला

दूधबला

फगुआक समए। पीह-पाहसँ मौसमक रंग चढ़ि‍ रहल छल। दि‍नुका काज उसारि‍ नि‍त्‍यानन्‍द काका दरबज्‍जापर बैस सालक फगुआक नीक-बेजापर ऊपर-निच्चाँ वि‍चारि रहल छला। जाड़सँ गरमीक प्रवेश भऽ रहल अछि‍। ठाढ पानिकेँ इनहोराइ-ले ठंढ मारि‍ तँ सि‍रसि‍साइए पड़तै। जँ से नइ तँ इनहोराएत केना? मुदा तेहेन दोखाह दोरस हवा बहि‍‍ गेल जे सोझ बाट माने नीक रस्‍ता बाउल-गरदासँ अन्‍हरा कऽ तेहेन बहबाँरि‍ बनि‍ रहल अछि‍ जे भरि‍ मुँह बाजब कठि‍न भेल जा रहल अछि‍।
सूर्यास्‍त तँ भऽ गेल मुदा अन्‍हराएल नै छेलइ। मोटर साइकि‍लसँ उतैर‍ मनोहर नि‍त्‍यानन्‍द काकाकेँ प्रणाम करैत आगूक चौकीपर बैसल।
कि‍छु दि‍न पूर्व धरि‍ नि‍त्‍यानन्‍द काका मनोहरकेँ दूधबेच्‍चा बुझै छला, मुदा पनरह-बीस दि‍न पहि‍ने शंका जगलैन‍ से जगले रहि‍ गेलैन‍। जइसँ वि‍चार बदलए लगल छेलैन‍। मुदा कोनो वि‍चारकेँ बदलैसँ पहि‍ने ऊपर-निच्चाँ देख लेब जरूरी बुझि‍ पुछलखि‍न-
कारोबारक की हाल छह?”
नि‍त्‍यानन्‍द कक्काक उत्तर दइसँ पहि‍ने मनोहरक मनमे आएल जे जखन फगुआक सनेस अनने छिऐन तखन आगूमे रखैमे कोन लाज। अनेरे साँइक नाओं सभ जानए आ हए-हए करए!’ जुगोक तँ धर्म होइ छइ। के भँगखौका शराब नै पीबैए‍। ओ सभ तँ निशोकेँ पानि‍ उताइर‍ देने अछि‍। भाय जखन एकटा प्रेमी अछि‍ तखन तँ जि‍नगी भरि‍ प्रेम करू नइ तँ पुरुखक आँखि‍सँ गिरब ओते महत नै रखै छै जेते मौगीक आँखि‍सँ। ..मुदा अपनाकेँ सम्‍हारि‍ वि‍चारि लेब जरूरी बुझि‍ बाजल-
काका, आइक जुगमे दूध बेचने गुजर चलत, तखन तँ..?”
मनोहरक बात नि‍त्‍यानन्‍द काकाकेँ ठहकलैन‍। मुदा तेयौ मन नै मानलकैन‍ बजला-
केते गोरे गाममे दूधबेच्चा छह?”
गर पाबि‍ मनोहर बाजल-
काका, आब कि‍ कोनो गाइए-महींसिक दूध बिकाइए! आब तँ गाछसँ लऽ कऽ लोहा धरि‍क दूध बि‍काइए। केतेक नाओं कहब। जेम्‍हरे देखै छी, तेम्‍हरे सएह।
सएहक सह पाबि‍ नि‍त्‍यानन्‍द काका हूँहकारी भरलैन-
से सएह।m
शब्‍द संख्‍या- 275 

बुढ़िया दाादी, कथाकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल

बुढ़ि‍या दादी

नहि जानि‍ दादीकेँ एहेन क्रोध किए भऽ गेलैन‍। एक तँ औहुना बैशाख-जेठक सुखाएल जारैन‍ चरचराइत रहैए, खढ़क छाड़ल-छार पटपटाइत रहैए, तइ हि‍साबे दादियोक खटखटाएब अनुकूले भेल। दादी माने तीन पीढ़ी ऊपर नहि, गामक बनौआ दादी। नवो-नौतारि‍ बनौआ दादी होइते छैथ, उचि‍तो छइ।
आठ-दस बर्खक पोता अपन कुत्ताकेँ अनठि‍यासँ लड़ा देलक जइसँ कोनचरक सजमैनक गाछ टुटि‍ गेलैन‍, तेकरे तामस दादीकेँ पोतापर रहैन‍। जखन टुटलैन‍ तखन बाधमे रहैथ‍ तँए नै देखलखि‍न। तखन ततबे, कुत्तेक झगड़ा भरि‍।
बारह बजे बाधसँ अबि‍ते, जहि‍ना हजारो चेहराक बीच प्रेमीक नजैर प्रेमि‍कापर जा अँटैक जाइत, तहि‍ना दादीक नजैर सजमैनक गाछपर पहुँच‍‍ गेलैन‍। लटुआएल-पटुआएल पड़ल देखलखि‍न। नरसिंह तेज भेलैन‍, मुदा परि‍वारक सभ गबदी मारि‍ देलक। तँए अधडरेड़ेपर तामस अँटैक गेलैन‍। जँ अकासक पानि‍केँ धरती नै रोकए तँ पताल जाइमे देरी लगतै?
दोसर साँझ जखन बाधसँ घुमि‍ कऽ दादी एली तँ नीक जकाँ भाँज लगि‍ गेलैन‍ जे पोताक कि‍रदानीसँ गाछ नोकसान भेल। तामस लहरए लगलैन‍। छौड़ाकेँ सोर पाड़लखि‍न-
अगति‍या छेँ रौ, रौ अगति‍या?”
नाओं बदलल बुझि‍ गोवि‍न्‍दोकेँ अवसर भेटलै। अन्‍हारे गरे चौकी-दोगमे नुका रहल। अपने फुरने दादी भटभटाए लगली-
भरि‍ दि‍न छौड़ा एमहर-सँ-ओमहर ढहनाइत रहैए आ कुत्ता-वि‍लाइ तकने घुड़ैए!”  
मुदा लगले मन ठमैक गेलैन‍। भरि‍सक अँगनामे नै अछि‍, खाइ-बेर भेल जाइ छै, केतए छिछियाइ-ले गेल जे अखन धरि‍ अँगनामे नै अछि‍। पुतोहुकेँ पुछलखिन‍-
कनि‍याँ, बौआ कहाँ अछि‍।
बेटाकेँ अपन जान सुरक्षि‍त बुझि‍ पुतोहु कहलकैन-
बड़ी-काल सँ नै देखलि‍ऐ।
पोताकेँ तकैले बुढ़ि‍या दादी वि‍दा भेली।  
सुतै बेर गोवि‍न्‍दा अलि‍साएल आबि‍ दादीकेँ कहलक-
दादी बि‍छान बीछा दे।
गोवि‍न्‍दक बात सुनि‍ दादी पि‍घैल गेली। ओछाइन ओछा कऽ सुता देलखि‍न। सेन्‍धपर पकड़ल चोर जकाँ, तामस फेर करुआ गेलैन‍। मुदा नि‍नि‍याँ देवीक कोरामे गोविन्‍दाकेँ देख‍ क्रोध घोंटए लगली। मनमे उठलैन- अखन छोड़ि‍ दइ छि‍ऐ, भोरहरबामे पेशाब करैले उठेबे करत, बुझतै केहेन होइ छै सजमैनक गाछ तोड़नाइ। जाबे सभ करम नै कराएब ताबे चालि‍ नै छुटतै।
भोरहरबामे गोवि‍न्‍द दादीकेँ उठबैत बाजल-
दादी-दादी।
दादी गबदी मारैक वि‍चार केलैन‍। मुदा तीन बेरक पछाइत‍‍ तँ गरि‍येबे करत, तइसँ नीक जे तेसर हाकमे अपने बाजि‍ दिऐ। की हेतै, एकटा सजमनि‍येँक गाछ ने टुटल। फेर रोपि‍ लेब।m

शब्‍द संख्‍या- 332 

''बजन्‍ता-बुझन्‍ता'' बीीहैन कथा संग्रहक दोसर संस्‍करणसँ सँसाभार...

Tuesday, June 21, 2016

बेगरता

दोसर मँुहेँ करोटिया दय सुतल मकेँ अपना दिस घुमाबैत - "धूर जाउ ! कोना मुँह घूमेने सुतल छी, दस मिनट पहिने अप्पन बेगरता काल बिसरि गेलियै कोना जोँक जकाँ सटल छलौं ।"

एसगर - प्रेम बीहनि कथा

बासोपत्ती बस अड्डा । 'म'केँ दिल्ली जेए बला ट्रेन दरभंगासँ पकरैक छलै । बासोपत्तीसँ दरभंगाक धरिक यात्रा बससँ । बसक इन्तजारमे 'म' एकटा लगेज हाथमे नेने ठाड़ । ततबामे 'स' अफसीयाँत भागि कय आबि 'म' लग ठाड़ होति, टूकुर टूकुर ओकर मुँह तकैत । दुनू आँखिसँ नोर निकलि 'स'केँ गाल होति गरदनि धरि टघरि गेल ।
म, "तु एतेक कनै किएक छेँ?"
स म केर दुनू हाथ खीच, ओकर हाथपर अपन मुँह रखैत, "हम कहाँ कनि रहल छी ।"
ओकरा उदास आ कनैत देखि म दूटा बस छोरि देलकै ।
"हमरो ल' चलू, अहाँ बिनु हम एहिठाम नहि जी सकब । ओहीठाम हम सबकेँ कहबै जे हम अहाँक नोकरानी छी । अहाँक नेनाकेँ खेलाएब, घरमे पोछा लगाएब, बर्तन धोब ।"
ई कथन छल एकटा बिधबा माएक जेकर बेटा दिल्ली बाली संगे ब्याह कय दिल्लीए बसि गेल छल आ माए एसगर गाममे ।
जगदानन्द झा 'मनु'

Thursday, May 26, 2016

प्रतिभाशाली

"प्रतिभाशाली लोक पोस नै मानै छै" ई बात बहुत बेरसँ एकटा बूढ़ साहित्यकार युवा साहित्यकारक पक्षमे बाजि रहल छलाह. ओ फेर तर्क देलाह जे सुच्चा रचनाकर्मी स्वतंत्र होइत छै ओकरा केकरो गुलामी नै करबाक चाही. सभामे सभ हुनकर तर्कसँ हारि गेल छल.
बूढ़ साहित्यकार घर एला तँ किछु सुनसान लगलनि. बूढ़ीकेँ सोर पाड़लनि. बूढ़ीकेँ एबासँ पहिनेहे एकटा बेटा आबि कहलकनि "आब हम भिन्न होबए" चाहैत छी. बूढ़ साहित्यकार बिना किछु बजने अंगनासँ निकलि गेलथि.

Friday, May 6, 2016

प्रेम

गुदरी बाजारक भीड़ भाड़सँ निकलैत, एकटा दुकानक आँगा टीवीक आबाज सुनि डेग रूकि गेल । टीवीसँ अबैत मात्र ओकर अबाजे सुनाइ द रहल छल । ओकर देह नहि देखा रहल छल मुदा अबाजेसँ ओकरा चिन्हनाइ कतेक आसान छै । 
आइसँ तीस वर्ष पहिने, हमरे संगे संग नमी वर्ग धरि पढ़ै बाली, सुन्दर, चंचल मात्र मूठ्ठी भरि डाँड़ बाली ---- 
"कि प्रेम इहे छैक की मात्र देहक प्रजनन अंगपर एकाधिकार बना कय राखैमे सफल भेनाइ ।"
@जगदानन्द झा 'मनु'

मँुह झौँसा

“गै दैया ! एतेक आँखि किएक फूलल छौ ? लगैए रा त भरि पहुना सुतए नहि देलकौ।”
“छोर, मँुह झौँसा िकएक नहि सुतए देत, अपने तँ ओ बिछानपर परैत मातर कुम्भकरन जकाँ स ुति रहल आ हम भरि रा ति कोरो गनैत बितेलहुँ।”
जगदानन्द झा 'मनु' 

सोहागिन

हल्द्वानी, हम आ सा । क़ब्रिस्तान पार कय क हम दुनू पहाड़क उपर चढ़ैत, समतल जगह ताकि पार्ककेँ एकटा वेंचपर बैसि, देहक गर्मीकेँ कम करैक हेतु बर्फमलाइ (आइस्क्रीम) कीन खेनाइ शुरू केलौंहँ ।
दुनू गोटा अप्पन अप्पन आधा बर्फमलाइ खेने होएब कि, सा "जँ हम अहाँक सामने मरि गेलौं तँ हमर सारापर चबूतरा बना देब ।" 
मेघ धरि उँच उँच पहाड़, चारू कात प्राकृतिक सौंदर्य, मखमल सन घास, स्वर्गसन वातावरण, बर्फमलाइ केर आनन्दक बिच अचानक एहेन गप्प सुनि, बर्फमलाइ हमर मुँहसँ छूटि हाथमे ठिठैक गेल । कनिक काल सा केर मुँह पढ़ैक असफल प्रयास केलाक बाद; "अवस्य एकटा सुन्दर चबूतरा । जँ हम पहिने मरि गेलौं तँ एतेक व्यवस्था ज़रूर कय जाएब जे एकटा नीक चबू.... "
बिच्चेमे सा हमर मुँहकेँ अप्पन हाथसँ दाबैत, "नीक नहि साधारणे चबूतरा मुदा अहाँक हाथे आ ओहिपर लिखल हुए "सोहागिन सा ।"
@ जगदानन्द झा 'मनु'

अगिला जनम

“डाँड़ टूटल जाइए भरि रा ति अहाँ सूतए नहि देलहूँ । बड़ हरान करै छ ी, अगिला जनममे अहाँ हिजड़ा होएब जे कोनो आओर मौगीकेँ एना तंग नहि कए सकब।”
“ठ ीक छै ! अगिला जनम अगिला जनममे देखल जेतै, एहि जनमक आनन्द तँ लए लिए । आ अगिला जनममे ओहि हिजड़ाक ब्याह जँ अहिक संगे भए गेलहि तँ ।"
@जगदानन्द झा 'मनु'