Thursday, April 12, 2012

झूठ नै बाजब :: जगदीश मण्डल


झूठ नै बाजब

बंगालक पूर्व मुख्यमंत्री डाॅक्टर विधानचन्द्र राय बच्चेसँ मानवीय गुणक अंगीकार करैत रहथि। जे गुण हुनक पितासँ भेटैत रहनि। सत्यक प्रति निष्ठा आ साहस दिनानुदिन बढ़ैत गेलनि। जखन विधानचन्द्र डाॅक्टरी पढ़ैत रहथि तखने अध्यापक मोटर एक्सिडैंटक संबंधमे झूठ गबाही दइले कहलकनि। अध्यापकक इच्छा रहनि जे विधानचन्द्र छात्र छी तँए जे कहबै से करत। मुदा झूठ नै बाजैक संकल्प विधानचन्द्र केने रहथि। अध्यापकक कहलापर विधानचन्द झूठ बजैसँ इनकार करैत कहलकनि- हम जे देखलि‍ऐ सएह कहबै। मुदा झूठ नै बजब।
जेकर परिणाम विधानचन्द्रकेँ भोगए पड़लनि‍। परीक्षामे फेल कऽ देल गेलाह। मुदा फेल होइसँ ओ ओते दुखी नै भेलाह जते खुशी अपन संकल्प निमाहैसँ भेलाह।

No comments:

Post a Comment