Thursday, April 12, 2012

खुदीराम बोस :: जगदीश मण्‍डल


खुदीराम बोस

स्वतंत्रता संग्रामक प्रखर सिपाही खुदीराम बोसकेँ मुजफ्फरपुर जेलमे फाँसी भेलनि। जइ समए फाँसी भेल रहनि ओइ समए खुदीरामक वएस मात्र अट्ठारह बर्ख आठ मासक छलनि। ओना हुनकर जन्म बंगालमे भेल छलनि मुदा ओ अपनाकेँ भारत माताक बेटा बुझैत छलाह। हुनकापर अंग्रेज किंग फोर्डक हत्याक आरोप लगाओल गेल छलनि। ओ जेहने कर्मठ तेहने हँसमुख छलाह। फाँसीसँ किछु समए पहिने जेलर उदार पूर्वक आम आनि खाइले दैत कहलकनि- चुपचाप खा लिअ। कियो बुझए नै।
खुदीराम आम रखि लेलनि। साँझू पहर जखन दोहरा क जेलर आबि पुछलकनि तँ ओ जबाब देलखिन- जखन आइ फाँसिये होइबला अछि, तँ डरसँ किछु खाइ-पीबैक मन नै होइए। अहाँक आम ओहिना कोनमे राखल अछि।
आमक गुद्दा खा कऽ बोस खोंइचाक खप्‍पामे मुँहसँ हवा भरि ओहिना रखि देने। कोनमे पहुँचि‍ जखन जेलर आम उठौलक तँ पचकि‍ गेलै। जइपर जेलर भभा कऽ हँसल। जेलरक हँसी देखि‍ खुदीरामो खूब जोरसँ ठहाका मारि हँसल।
मृत्युक एक्को पाइ डर हुनका नै छलनि।
खुदीरामक फाँसीक चरचा, लोकमान्य तिलक अपन पत्रिका केशरीमे देशक दुर्भाग्य शीर्षक नाओंसँ लेख लिखलनि। जइपर तिलककेँ छअ मासक कारावास भेलनि।

No comments:

Post a Comment