Thursday, April 5, 2012

नक्शा

एक टा मनुख जिग्से पज़्ज़ील मे बहुत देर सों दुनिया के नक्शा जोडबाक प्रयास करैत छल | करीब २ घंटा तक कडाचूर मेहनति के बादो ओकरा बुते दुनिया के नक्शा के जोडल नहि भेलैक | बहुतो ईयाद केलाक बादो ओकरा फल्ला देश फल्ला महाद्वीप मे हेतैक से पता नहि चलि रहल छलैक | ताबत एक टा छौडा ओतय आयल | ओ मनुख के पुछलक जे अहां कथी मे आप्स्यांत भेल छी | मनुख कहलक जे हम ई गत्ता के जोडबाक प्रयास क रहल छी | छौडा ओहि मनुख सों एक बेर प्रयास करबाक अनुमति लेलक आ ५ मिनट मे सब टा टुकड़ा के जोड़ि देलक | मनुख के बड्ड आश्चर्य भेलैक जे एतेक छोट बच्चा कोना दुनिया के नक्शा ५ मिनट मे जोड़ि लेलक | ई प्रश्न ओ छौडा से केलक जे कोना ओ दुनिया के नक्शा ५ मिनट मे जोड़ि लेलक | छौडा कहलक -" हम त मनुख के जोडलहु, दुनिया अपने आप जोड़ा गेल" | ( नक्शा के पाछू मनुख बनल छलैक )

No comments:

Post a Comment