Friday, April 6, 2012

जाति-पाति



हैदराबाद पुलिस एकेडमीमे दारूक पार्टी चलि रहल छल ।
“क्यो किछु नै बाजत, बस हमही टा बाजब”।
छाती पिटैत- “राजपूतक छाती छी ई, क्यो किछु नै बाज “।
“:भाइ यैह तँ अंतर छैक, दुनू गोटे आइ.पी.एस. छी, दुनू गोटे पीने छी। मुदा की हम ई कहि सकैत छी छाती पीटि कए- जे हम डोम छी, क्यो किछु नै बाज”!: 


No comments:

Post a Comment