Friday, April 6, 2012

सत्येन्द्र कुमार झा- विहनि कथा-स्थानान्तरित दोष




नौकरीमे अएलाक बाद विभागीय परीक्षाक तैयारीमे जुटल छला। मुदा परिणाम नीक नै भेलनि। असफल भऽ गेला। घरक सभ सदस्य असफलताक मादे जिज्ञासा कएल तँ कहलनि- “एम.डी.क खास छलै...ओकरा नै होइतै तँ ककरा होइतै? ”
पुत्रक परीक्षा चलि रहल छल। प्रथम स्थान प्राप्त करबाक मारामारी। मुदा पिता जेना पुत्रोकेँ निराशे हस्तगत भेल- “प्रिन्सिपलक बेटा छै ओ...प्रथम स्थान तँ  सुरक्षिते छै...। ”
बाप-बेटा दुनू गेन्दकेँ दोसरक आंगनमे फेक  निश्चिन्त भऽ गेल छला।
गुण कतौ पछुआरमे ठाढ़ छल।

No comments:

Post a Comment