Friday, June 14, 2013

नोकरी

100. नोकरी

आइ कम्पनीक मालिकक ऑफिसमे हड़कम्प मचल छलै ।ओकर प्राइभेट सेक्रेटरी बबाल मचा देने छलै ।जखन सेक्रेटरी दरमाहा बढ़ेबाक बात कहलकै तँ मालिक बाजल रहए "अहाँ हमरा खुश कऽ दिअ, हम अहाँकेँ खुश कऽ देब ।"
ताहिपर सेक्रेटरी फरिछेबाक बात कहलकै तँ मालिक बाजल "मने ऑफ टाइममे अहाँ हमरा दैहिक सुख दिअ ।"
सेक्रेटरी तामसे लहलह कऽरऽ लागल ।मालिककेँ घिसिया कऽ बाहर आनलक आ बाजल "जँ एहने नोकरी कऽ टाका कमेबाक रहितए तँ कोठापर बैस जैतौं ।इज्जतक टाका नीक लागैत अछि हमरा ।हम कोनो बिकाउ नै छी ।तोरे एहन नीच मालिक-सेक्रेटरीकेँ बदनाम कऽ दैत अछि ।"
ओहि सेक्रेटरीक साहसक चलते मालिक अपने ऑफमे लाजे धरतीमे धसल जा रहल छल ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment