Sunday, June 9, 2013

मुर्दा



बिहार रोडबेजकेँ बस पटनासँ जयनगर धरि सफर । समस्तीपुरसँ किछु पहिले सामनेसँ एकटा बड़काटा चमचमाइत कारी रंगक कार आबि कए बसक सामने ठार भऽ गेल । ओहि कारमे सँ  देशी तमन्चा लेने दू गोट पहलवान निकलि बल प्रयोगसँ बसमे घुसि गेल । बसमे चढ़ला बाद सभक दिस धियानसँ देखैत पाछुक सीटपर बैसल एकटा नौजबानकेँ सभक सोझाँ खीच कए बससँ बाहर निकालि दुनू गोटे ओकरा लात मुक्कासँ पीटअ लागल । बसमे बैसल ७०-७५ गोटेमे सँ कएकरो हिम्मत नहि जे एकबेर इहो पूछेए कि भेलै, एकरा किएक पीटै छै । सभ मूक दर्शक बनल । अंतमे ओ दुनू यमराजक दूत ओकरा मारैत मारैत थाकि गेल तँ एकटा अप्पन तमन्चा तानि ओकर सीनापर दनादन दू गोली दाइग देलक । सभह सामने दिनदहारे । ७०-७५ टा नपुंसक लग दूटा मर्द जीत गेल अथवा ७०-७५ टा मुर्दापर दूटा जीवन भारी परल ।   

No comments:

Post a Comment