Friday, June 7, 2013

ड्रामा

विहनि कथा-61
ड्रामा

- रौ झगड़ूआ तोरा माँथपर सींघ जनमल हौ की ?
- से किए रौ घोघबा ?
- तोरा घरसँ हरदम हल्ले होइत रहै हौ ।लागैत हौ जे आब ककरो कपार फूटिये जेतौ ।
- नै बझलहीं ।हम-तूँ ठहरलौं मूरख, अनपढ़ ।तें लोक अपना आरकेँ छोट बुझै हौ ।
- लेकिन ऐसँ ई ड्रामकेँ कोन समबन्ध है ।
- अरे, आइ-काल्हि पढ़लो-लिखलकेँ घरमे एनाहिते नवाह जैसन झगड़ा होइ है ।तेँ हमहूँ झगड़ा बला फुसियाही ड्रामा करै छी जैसँ लोक हमरो शिकछित बुझै ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment