Tuesday, June 4, 2013

लाजक उपाय

विहनि कथा-46
लाजक उपाय

राजा मिसर अपन जेठ बेटाक विआह ठीक केलनि ।खूब सुन्नर आ पढ़ल-लिखल लड़की हिनकर परिवार लेल प्रियगर भ= गेल छलै ।देखा-सुनीक बाद तिलकक बात चलाओल गेल ।मिसर जी जोर-जबरदस्ती कऽ दस लाख टाकाक संग मारिते रास समानक माँग केलनि आ कहलनि जे ई खानदानी परम्परा छन्हि ।लड़की पक्ष खेत-पथार बेच सबटा माँगा पुरा देलकनि ।जखन राजा मिसर बरयाती लऽ कऽ पहुँचल तँ लड़की बला खूब स्वागत केलकनि, मुदा भोजनक बेर लगातार दहेजपर लिखल गीत बजा देलकै।जेना-जेना गीत बढ़ैत गेलै तेना-तेना मिसर जी लाजे धरतीमे धसैत गेलनि ।लड़की बलाक उपाय एते काज केलकै जे बाँकी बचल बेटाकेँ मिसरजी आदर्श विआह केलनि ।

No comments:

Post a Comment