Friday, June 14, 2013

शत प्रतिशत

99. शत प्रतिशत

आइ इस्कूलक रिजल्ट निकललै ।इस्कूल प्रांगन विद्यार्थी आ गार्जियनसँ भरल छलै ।एकटा गार्जियन अपन बेटाक खराप रिजल्ट देख पिनकि गेलाह ।प्रिंसपल लऽ जा शिकायत केलनि ।प्रिंसपल उनटे गार्जियनकेँ झाड़नाइ शुरू कऽ देलकै ।ओ बाजल "एक तँ अहाँकेँ पड़ोसीसँ सदिखन झगड़ा होइत अछि, तेँ बच्चा पढ़ि नै पाबैत अछि ।दोसर, अहाँ सब बच्चाकेँ इस्कूलमे दऽ चैन भऽ जाइत छी, घरपर केयर नै होइत अछि आ बच्चाक रिजल्ट खराप भऽ जाइत अछि ।तकर बात बच्चापर दबाब दै छी जाहिसँ ओ फ्रसटेट भऽ जाइत अछि ।तेँ पहिने गार्जियन अपनामे सुधार करौ तखन बच्चाक रिजल्ट देखौ ।"
प्रिंसपलक बात सूनि गार्जियन सप्पत खेलक जे आब बच्चापर अपनेसँ धियान देत ।अगिला बेर ओकर बच्चा शत प्रतिशत अंकसँ पास भेलै ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment