Sunday, June 9, 2013

सियाख

78. सियाख

- यै एकटा बात कहौं ।
- की ?
- हमर इच्छा छल जे बौआक नामकरण नवका स्टाइलमे करितौं ।
- जेना ? फरिछाउ तँ ।
- जेना चिन्टू, सन्टू, टिन्कू, भोलू, छोटू आदि आदि ।
- हे अपन वेस्टर्न सऽख अपने लऽग राखू ।अपन मिथिलामे ई सियाख चलै बला नै अछि ।
- से किए ? मैथिल वेस्टर्न ड्रेस पहिरै छथि की नै ? अंग्रेजी चलै छै की नै ?
- बुझलौं बुझलौं ।बाजब आ ड्रेस क्षणिक होइत अछि तें आनो रीत अपना लैत छी , मुदा नाँउ तँ भरि जीवन आ मुइलाक बादो चलैत रहैत अछि ।एकरा पश्चिमीकरण नै करू ।बौआक नाँउ तँ भगवानेक नामपर राखब, उगना. . . ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment