Tuesday, June 4, 2013

मनुखक जीवन




“बौआ पैघ भए कऽ अहाँ की बनब ?”
“मनुख |”
नेनाक एहि उत्तरपर चारूकात ठहाका पसरि गेल | मनुख ! मनुख तँ हम सभ छीहे, मनुख बनक बेगरता की ? मुदा नेनाक आखर ‘मनुख’ हमर हृदयमे तऽर धरि धसि गेल | की आइ काइल्ह हम मनुख, मनुख रहि गेलहुँ ?
हमर सभक भीतर मनुखताक कोनो अवशेष एखनो बचल अछि ?
मनुख की ? खाली मनुखक कोखिसँ जन्म लेने भऽ गेलहुँ ?
जन्म लेलहुँ, नम्हर भेलहुँ, ब्याहदान भेल, दू चारिटा बच्चा जनमेलहुँ, ओकर लालन-पालन केलहुँ, बुढ़ भेलहुँ, मरि गेलहुँ, इहो जीवन कोनो मनुखक जीवन भेलै | आइ मरलहुँ काइल्ह दुनियाँ तँ दुनियाँ १३ दिन बाद अप्पनो बिसरि गेल | मनुख जीवन तँ ओ भेल जेकर मृत्यु नहि हुए | मृत्यु देहक होइ छैक, कमसँ कम नामक मृत्यु तँ नहि होइ, नाम जीबैत रहै, ओ भेल मनुखक जीवन |  

No comments:

Post a Comment