Saturday, June 8, 2013

सेंसर्ड

70. सेंसर्ड

देश भरिमे बलत्कारक बाढ़ि आएल अछि ।अधवयसु महिलासँ लऽ कऽ तीन वर्षक मासूम बचिया धरि एहिसँ नै बचि सकलनि ।लोक छोट कपड़ा आ मोबाइलकेँ एकर मुख्य जिम्मेदार बतबै छथि ।कतेको राजनीतिक दल एकर बिरोधमे ठाढ़ छल ।लड़कीक बाजै-भूकै, हँसैपर रोक लगाओल जा रहल छल . . .मुदा. . .टी॰भी॰पर द्विअर्थी संवाद बला सेंसर्ड प्रोग्राम घर-घरमे परिवारक संग देखल जा रहल छल ।गारि आ अंग प्रदर्शनसँ भरल सेंसर्ड फिल्मक लेल टीकट खिड़कीपर भेरियाधसान भेल छल ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment