Saturday, June 15, 2013

ममता



“यै बड़की काकी गाए बेचथिन ? नवगाम वला पैकार एलैए ।“
“नै यै कनियाँ एकरा हम कोना बेच देबै, अप्पन बच्चा जकाँ पोसने छी ।“
“छोरथि मोह-माया, हम पैकरबासँ गप्प कएलौंहेँ ओ बीस हजार दै लेल तैयार छनि ।“
“बुझलहुँ बीस हजार आइकेँ दुनियाँमे बड़ पैघ छैक मुदा ममताक सेहो कोनो मोल छै आ हमर ममता एहि बीस हजारमे बिकाउ नहि अछि । जाबत अपने जीबै छी रखने छीयै मुइला बाद जे अपने सब करब ।“

No comments:

Post a Comment