Saturday, June 8, 2013

भूख



ब्रेकिंग न्यूज | हिंदी सिनेमाक मशहूर अदाकारा ज ख फाँसी लगा कए आत्महत्या कए लेली |
टी भी देखैत हमर आठ बर्खक भतीजाक नेनपनसँ भरल प्रश्न, “बड़का बाबू ई आत्महत्या की होइ छैक |”
“बेटा, अप्पन जीवनकेँ कोनो ने कोनो बिधिसँ खत्म केनाइ |”
“मुदा बड़का बाबू, लोक अप्पन जीवनकेँ खतमे किएक करै छै ?”
“बेटा, जखन कोनो मनुखक भूख एतेक बढ़ी जाइ छैक की ओकरा शांत नहि कएल जा सकै तँ ओकर परिणति अंततः आत्महत्याक रूपमे होइ छैक |” मासूम अबोध नेनाक समक्ष हम ई फिलोसफी दए तँ देलहुँ मुदा एकरा ओ अबोध की बुझत | जखन मशहूर अदाकारा ज ख नहि बुझि पएलीह | हमहूँ बुझलहुँ कतए बस बेलूनक हबा जकाँ ई शव्द कतहुँसँ हमर मुँहसँ बहरा गेल |

No comments:

Post a Comment