Saturday, June 15, 2013

बतीया



“बतीयासँ लदल झिमनीक लत्ती छल, काइल्ह टिकलागाम बाली अप्पन कनखी आँखिसँ देख कि लेलनि राति भरिमे सभटा बतीया गलि गेल।“
“की माए अहुँ कएहेन-कएहेन बातपर विश्वास करैत छी । ककरो तकलासँ बतीया वा लत्ती किएक गलतै । ई एनाहिते बदलैत मोसम, कीड़ा आदिक प्रकोपे बतीया गलि गेल हेतै ।“
“हाँ, तूँसभ दू अक्षर पढ़ि की लेलह सभटा तूँहीँ सभ बुझै छहक । हम सभ तँ जेना रौदेमे अप्पन केश पका लेलहुँ, आब तूँहीँ सभ सीखेबअ कि नीक आ की बेजए ।“

No comments:

Post a Comment