Tuesday, July 23, 2013

शिक्षा

120. शिक्षा

- रौ इन्तियाज, काल्हि इस्कूल किए ने एलहीं ?
-सर जी बीड़ी गीराबऽ गेल रहियै ।
- तूँ किए गेल छलहीं ? अब्बूकेँ जेबाक चाही ।
- की करियै सर, अब्बूये तँ भेजने छलै ?
-पढ़ाइ-लिखाइ छोड़ा कऽ. . . ?जो अब्बूकेँ बजेना आ ।
- कोनो फर्क नै पड़त सर ।अब्बू हमरा एखनेसँ पेट भरबाक लूरि सिखा रहल छै ।अब्बू कहै छै जे काजे करनाइ सबसँ पैघ शिक्षा छै ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment