Wednesday, May 29, 2013

खाप पंचायत

* खाप पंचायत *
विहनि कथा-37

आइ न्यायमुर्ती के॰पी॰ शक्तिक तेसरे तेवर छन्हि ।भोरेसँ हड़बड़ाएल, डेराएल आ तमसाएल छथि ।कोर्टमे मुद्दे तेहन छै जे चहुँ दिश तनावक स्थिती उपजि गेल छै ।एकटा प्रेमी जोड़ा खाप पंचायतपर केश केने छै आ सरकारसँ सुरक्षा देबाक आग्रह केने छै । जज के॰पी॰ शक्ति प्रेमकें ठीक बतबैत सजाक रूपमे चारि-पाँच पंचायतक कर्ता-धर्ताकें जहल पहुँचा देलनि ।कतेको प्रेमी हिनका आदर्श मानि लेलक ।भरि दिन कतेको मीडिया इन्टभ्यू लेल परेशान करैत रहलनि ।देर राति घर एलनि तँ पता चलल जे जेठ बेटी पुलिसक बेटासँ कोर्टमे विआह कऽ लेलक अछि ।एखन के॰पी॰ शक्ति हजारो खाप पंचायतक शक्ति अपनामे समेट बेटीक घेंटसँ सटल ओढ़नीसँ फन्दा कसि रहल छलथि ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment