Tuesday, May 21, 2013

अपवित्र



भगवती मंदिरक प्राँगण | आरती होइत | भीरक अम्बार लागल | घरी घंटा, शंखादीक शुभ ध्वनीसँ चाहुदिस भक्तिमय वातावरण बनल | मंदिरक मुख्य पुजारी अपन दहिना हाथसँ बड़काटा प्रज्वलित पंचदीपसँ आरती करैत आ संगे बामा हाथसँ चम्बर डोलाबैत मधुर स्वरसँ भक्तिमे लीन भए माँ भगवतीक आरतीमे लागल | आरती अपन समाप्तिक दिस बढ़ैत | मुख्य पुजारीजी बिना पाछू देखने अपन  जगहसँ आरती करैत चम्बर डोलाबैत, धीरे धीरे पाछू मुँहे मन्दिरकक्षसँ निकलि मंदिर प्राँगनमे भीरक बिच पाछूए मुँहे अबैत | ई हुनक नित्यक काज रहबाक कारणे हुनका पूर्ण अभ्यास रहनि | पाछू मुँहे, पाछू ससरैत ओ भीरक अन्तिम छोरपर पहुँचला | ओहिठाम सभसँ कातमे दू तीनटा मलीन बेसमे २५ सँ ३० बर्खक समतुरिया स्त्री ठार | शाइद हुनका सभकेँ नहि बुझल जे पुजारीजी एहिदने तुलसीचौरा लग जेता तेँ ओ सभ पुजारी जीकेँ एला बादो अपन जगह ठाढ़े | पुजारीजी अपन दुनू आँखिकेँ गुम्हरि कए गरदैनसँ हतैक इशारा करैत, “हूँ |’
ओहिमे सँ एक (पहिल) स्त्री जे मधुरक एकटा डिब्बा भगवतीकेँ चढ़ाबै लेल अनने रहथि, “की हूँ |”
दोसर स्त्री, “गै ई कहै छौ ई डिब्बा दही ने मैयाकेँ भोग लगेतै |”
पहिल स्त्री मधुरक डिब्बा पुजारीजीकेँ दिस बढ़ोलनि, बढ़बैक कालमे ओ डिब्बा पुजारी जीक धोतीसँ भिर गेलन्हि | पुजारीजी, “हे भगवती ! एकरा सभकेँ के आबै देलकै, सभटा देह अपवित्र भए गेल | फेरसँ स्नान कए तुलसीजीक आरती करए परत |”
तेसर स्त्री जे की चुप एखनतक सभटा गप्प सुनैत छली, “की पुजारी एखन तोहर धोतीमे भिरलासँ तुँ अपवित्र भ गेलह, तोरा फेरसँ असनान करेए परतअ आ रातिक अन्हारमे जे हमरा सभक घरे-घर मुँह मारैत रहै छ तैँ कालमे तोहर देह अपवित्र नै होइ छ |”

No comments:

Post a Comment