Friday, January 3, 2014

खबरिक मोल

170. खबरिक मोल

पूरा परोपट्टामे शोकक लहरि दौड़ गेल छलै ।सभक आँखि नोराएल छलै ।जिनगी भरि समाजक सेवा करऽ बला युवा समाजसेवी रामशंकर लालकेँ किछु अज्ञात अपराधी हत्या कऽ देने छलै ।धरती-अकाश चित्कार कऽ उठल छल ।पुलीस आएल ।पोस्टमार्टम करेलक ।जाँचक अश्वासन देलक आ चलि गेल । दोसर दिन परोपट्टाक लोक जाँचक खबरि जनबाक लेल उत्सुक छल ।भोरे-भोर कतेको जोड़ा आँखि अखबारमे खबरि ताकऽ लागल, मुदा... रामशंकर लालक बारेमे कोनो खबरि नै छपल छलै । हँ सब अखबारक मुख्य पृष्ठपर एते जरूर छपल छलै जे एकटा लोकप्रिय अभिनेत्रीक पिल्लीकेँ चारि टा बच्चा भेलैए ।

अमित मिश्र

Thursday, January 2, 2014

प्रभाव

169. प्रभाव

बीस टा लाउडिस्पिकरसँ बहराइत झमकौआ गीत दसो दिशाकेँ झनझना रहल छल ।मंचपर नर्तकी अंग प्रदर्शन करैत डाँर लचका रहल छल ।मंचक एक कोनमे गामक किछु कहबैका/नेताक द्वारा दारूक बोतल तोड़ल जा रहल छल ।किछु तँ दारूक नशा संग अश्लील इशारा करैत नर्तकीक संग नाचि रहल छल आ किछु पैसा उड़ा रहल छल ।मंचपर नर्तकीक संग नाचैत पति, बेटा आ बापकेँ दर्शक दिर्घामे बैसल ओकर पत्नी, माए आ बेटा-बेटी देख रहल छल ।दोसर दिन पक्किया खबरि उड़लै जे मंचासिन दू कहबैकाक बेटी-बेटा ककरो संग अश्लील काज करैत पकड़ाएल ।

अमित मिश्र