Friday, June 7, 2013

सुविधा

विहनि कथा-65
सुविधा

"हमरा लऽग ए॰सी॰, फ्रीज, कमप्यूटर, मोबाइल, स्कूटी, टाका सब तरहक सुविधा अछि ।पढ़ाइयो खूब करै छी ।सदिखन इन्टरनेटपर पोथीए खोलै छी ।माए ए॰सी॰क हवा लागिते जानि नै किए नीन लागि जाइ छै ।माए, सब सुविधा रहितो हम दोबारा फेल भऽ गेलियै ।नम्बरे नै देलकै मस्टरबा ।"
" माए, तूँ चिन्ता जुनि कर ।डिबिया बारि, गर्मीमे घामे-पसीने भेल, फाटल-चिटल पोथी पढ़ै छी ।पएरे इस्कूल जाइ छी ।माए. . .जीला भरिमे सबसँ बेसी अंक हमरा छै ।एखन दुख काटऽ दे, काटि ले ।जखन हमरा नोकरी भेटतै तँ सब सुविधा तोरा लेल आनि देबौ ।"

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment