Sunday, June 9, 2013

राष्ट्रपति शासन

74.राष्ट्रपति शासन

राज्य भरिमे ठामे-ठाम चुनावी पोस्टर साटल जा रहल छल ।कतेको दल प्रचारमे लागल छल ।सब उम्मीदबार अपन-अपन क्षेत्र बेराबैमे लागल छल ।जाति-पातिक ढोल पीटल जा रहल छल ।चुनावक दिन राज्य भरिक जनता अपन-अपन जातिक उम्मीदबारपर बटन दबा देलनि ।परिणाम एलै ।ककरो बहुमत नै भेटलै ।सरकार नै बनलै ।दोबारा चुनाव कराओल गेल ।सरकारक खजाना खाली भेल, मुदा रिजल्ट जस-के-तस ।अन्तमे केन्द्र सरकार कहलकै " जखन जनता जातीयता नै छोड़तै तँ हम अपन खजाना किए खाली करब ? लागऽ दहीं कड़गड़ कानून ।"
ओहि राज्यमे राष्ट्रपति शासन लागि गेल छल ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment