Wednesday, June 5, 2013

कनियाँ दाइ




अपन दियादनीमे सभसँ छोट रहला कारणे कनियाँ आ एखन सभक दाइ तेँ दुनू मिल कए कनियाँ दाइ | अपन अवस्थाकेँ अपनासँ पाछू छोरैत एखन साठि बर्खक अवस्थोमे चंचलता आ हाजिर जवाबीमे कोनो अंतर नहि | केशवक पाँचो भाइक उपनैन | आगू आगू पाँचो बरुआ पाछू ढोल पिपही बजैत रमनगर दृश्य | कनियाँ दाइ एहि अबसरपर कतौ अपन व्यस्तताकेँ कारण देरी भए गेली | हरबराइत दौरैत अँगना पहुँचक चेष्टामे डौढ़ीपर बरुआ केशवसँ आमने सामने टकरा गेली | अपनाकेँ सम्हारैत झटसँ, “बुढ़ीयासँ टकरा कए की भेटतौ कोनो छौंड़ीसँ टकराअ तँ किछु भेटबो करतौ |”
हुनक गप्प सुनि सभक मुँहपर हँसीक ठहाका छुटि गेल |

No comments:

Post a Comment