Thursday, June 6, 2013

अप्पन नीन




आइ कतेक बर्खक बाद हम अप्पन गामक फूसक घरमे आपस एलहुँ | मोन एतेक प्रशन्य कि घरसँ बाहर निकलैक मोने नहि भए रहल छल | घरक अखरा चौकी, दिल्लीक दू बएड रुमकेँ पलंगक एक बीत मोटगर गद्दासँ बेसी सुखदायी लागि रहल छल | आँखि मुनैत माँतर सपनाक इन्द्रधनुषी मेघमे मन विचरण करए लागल | भिनसर नीन तुटल तँ बर्खो बाद बुझलहुँ नीन एकरा कहैत छै | दिल्लीक पन्द्रह हजार रुपैयाक भाराक घर जकाँ ओतुका नीनो भाराक | धन्यवाद हमर कम्पनीक मंदी आ हरताल जे हम अप्पन घरमे अप्पन चौकीपर अप्पन नीनसँ सुतलहुँ | 

No comments:

Post a Comment