Tuesday, June 11, 2013

मरनाइ नीक

86. मरनाइ नीक

गायनिक वार्डमे एखने एकटा नेनाक जन्म भेल, मुदा समयसँ पहिने ।शीशामे नवजातकेँ राखल गेल ।ई सूचना ओकर बापकेँ लागलै ।ओ आबि गेल ओकील आ पुलिसक संग ।असलमे ओकरा दुनू प्राणीमे खटपट भेल छलै ।तलाकक भऽ गेल छलै ।जनमऽ बला नेनाकेँ बापक हिस्सामे देल गेल छलै ।ओ इएह दुआरे आएल छलै ।ओ नेनाकेँ अपना संग विदेश लऽ जाए लेल तैयार छल, मुदा माए मना केलकै ।आब तँ ओतै उट्ठा-बजड़म हुअऽ लागलै ।लप्पर-थप्पर होइत शोणिता गेल तलाकशुदा पति-पत्नी ।नर्स कहैत रहले जे चुप रहू, नवजातकेँ असर पड़तै, मुदा ओ नै मानलक ।कने काल बाद ओकर बच्चा मरि गेल ।झगड़ा होइते रहलै ।शाइद ओ नवजात सोचने हेतै जे एहन कुकुरालुझिसँ मरनाइ नीक अछि ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment