Wednesday, May 22, 2013

उत्तरक खगता

विहनि कथा -25
उत्तरक खगता

-पापा, अखबारमे बड छपै छै भ्रुण हत्याक बारेमे ।ई की होइत छै ?
-बेटा, जनमैसँ पहिने जँ ककरो मारि देल जाइ छै तँ एकरा भ्रुण हत्या कहल जाइ छै ।
-मुदा किए मारि देल जाइ छै ?
-जहिना मच्छर, साँप सन जीवकें खतरा बूझि लोक मारि दै छै तहिना भ्रुणोकें . . .
-(बीच्चेमे बात लोकैत) से तँ बुझलियै, मुदा जनमसँ पहिने केहन खतरा रहैत छै ?
-पढ़ाइ कर ।ई सब एखन नै बुझबें ।
-अच्छे एकटा बात कहू ।खाली कन्ये भ्रुणकें किए मारल जाइ छै ।बालककें किए नै ? की एकरासँ खतरा नै होइ छै ।

ई सूनि पापाकें किछु नै फुरेलै ।एकटा छोट नेनाक प्रश्नक उत्तर ओकरा लऽग नै छलै ।उत्तरक खगताक अनुभव भऽ रहल छलै ओकरा ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment