Wednesday, May 22, 2013

भविष्य


वाह... ई बच्चे सभ तँ भविष्य होइत अछि।
वाह.......................
अच्छा ई कहू जे अहाँके ए.बी.सी अबैए..?
हँ....
वाह उत्तम।
अपन देशक चौहद्दी अबैए ?
हँ......
वाह.. खूब नीक.
बाबा-परबाबाके नाम मोन अछि ?
हँ...
वाह---वाह की संस्कार अछि।
अच्छा ई कहू जे अहाँके कि नै अबैए ?
जी हमरा बस लाज नै अबैए ----





No comments:

Post a Comment