Sunday, May 19, 2013

अधिकार

विहनि कथा-21
अधिकार

- रौ कोनमा ,काल्हि कने रधियाक सासुर भार दऽ आबिहें ।

- मालिक, ककरो आर कहियौ ।काल्हि हमरासँ नै हएत ।

- से किएक रौ ?

- अहाँकें नै बूझल अछि काल्हि एलेक्सन छै ।

- ओहिसँ की ? पेट तँ तोरा हमरे देल पाइसँ भरतौ ।नेता तँ नै एतौ ।

- तैयो मालिक जहिना हमर अधिकार अछि जे काज केलाक बाद अहाँसँ पाइ लेब तहिना भारत माता आ संविधानक अधिकार लेबैये पड़त ।छोड़ि कोना देब ।

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment