Wednesday, May 29, 2013

भगवान कतए रहैत छथि




एकटा नेना अपन बाबीसँ, “बाबी भगवान कतए रहैत छथि।”
“बेटा सभठाम, कोनो एहन जगह नहि जाहिठाम भगवान नहि हुएथ।”
“अच्छा।”  
“हाँ बेटा।”
“अहुठाम।”
“हाँ बेटा हाँ।”
“तहन अहाँ सभ दिन पूजा करैक हेतु मन्दिर किएक जाइ छी।”  

No comments:

Post a Comment