Friday, June 8, 2012

की भगवती हमर घर एती ?



मोहंती बाबा | भरि गामक बाबा | भरि गामक लोक  हुनका बाबा कहि कए संबोधित करैत छनि जेकर कारण छैक  हुनकर बएस  | पनचानबे बर्खक मोहंती बाबा अपन कद काठी आ डीलडोलसँ एखनो अपन उम्रकेँ पछुआबैत, लाठी टेक कए गामक दू चक्कर लगा कए आबि जाइ छथि | मुदा अपन गाम भगवतीक दर्शन करैक हेतु कहियो नहि जाइ छथि | गाममे बनल विशाल भगवतीक मंदिर, भगवती बड्ड जागरन्त चारू कातक बीस गाममे भगवतीक महिमाक चर्चा छन्हि | गामक नियमकेँ हिसाबे गामक  सभ  कियो दिनमे  एक ने एक बेर भगवती घर भगवतीक  दर्शन हेतु अबश्य जाइ  छथि |
गर्मीक छुट्टीमे बाबाक पोता जे की दिल्लीमे कोनो प्रतिष्ठित काज करै छला, गर्मी बिताबै आ आम खेबाक इक्छासँ गाम एला | ओहो गामक परम्पराक निर्वाह करैत भगवतीक दर्शन कए  ' एला | एला बाद दलानपर बैसल बाबा संगे गप सप होइत रहलै | गपक बिच संजय बाबासँ पुछलथि,  " बाबा अहाँ भगवती घर नहि  जाइ  छियैक |"
बाबा, "नहि "
संजय, "किएक"
बाबा, "हौ बौआ, भगवती घर तँ  सभ  कियोक  जाइत अछि, मुदा भगवती केकरो-केकरो घर जाइ  छथिन | हम अपन मन आ स्वभाबकेँ एहेन बनाबैक प्रयासमे छी जे भगवती हमर घर आबथि |"
संजय बाबाक मुँहसँ एहेन दार्शनिक गप सुनि अबाक रहिगेल आ सोचय लागल जे की ओकर मन आ स्वभाब  एहेन छैक जे कहियो  भगवती ओकर घर एती ? ओकर अबाक रहैक कारण रहै शाइद  नहि  |
*****
जगदानन्द झा 'मनु'

No comments:

Post a Comment